Monday, December 2, 2013

मिथिला लोक उत्सव 2013

दरभंगा : नागेँद्र झा स्टेडियममे बीतल रविकेँ शुरू भेल 'मिथिला लोक उत्सव-2013' जेकर उद्घाटन बिहार सरकारक ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्रा केलनि। ओ कहलनि जे बिहार सरकार दरभंगामे मिथिला लोक उत्सव तेसर बरख करबा रहल अछि, मिथिलावासी लेल इ गौरवक गप्प अछि। एहि लोक उत्सवमे मिथिला ग्रामक संग विकास मेलामे लागल कतेको स्टॉलसं मिथिलाकेँ देखल जा सकत। लोक उत्सवक पहिल दिन लोक गायिका श्रीमती रंजना झा, रामबाबू-भगवानबाबू दुखी राम आदि मैथिली गीतसं लोक केँ झूमेला संगे झरनी, जट-जटिन आदि धरोहर मंच मधुबनी द्वारा प्रस्तुत कएल गेल। मंचक संचालन मैथिली अकादमी, पटनाक पूर्व अध्यक्ष कमलकांत झा केलनि आ उद्घोषणा डॉ.सोनी सिंह केलनि। लोक उत्सवक पहिल दिन रंजना झा, बिहार गौरव सम्मानसं सम्मानित भेली।

0 comments:

Post a Comment